खजुरी,ठकुवा,पेरुकिया, आ कचरी सहितके मैथिली पकवान स्टल

Aadil Times 1+ समाचार ( )
७ माघ २०७९

विराटनगरमें आयोजन भेल तेसर संस्करणके नेवा महोत्सवमें मैथिली पकवान प्रर्दशन कएलगेल अछि ।

माघ ६ आ ७ गते विराटनगरके बगलामुखी मन्दिर परिसरमें आयोजन भेल नेवा महोत्सवमें मैथिली अनलाइनके प्रायोजनमें मैथिल खानपानसँ जुडल विभिन्न पकवान सब प्रर्दशन कएलगेल अछि । महोत्सवमें ठकुवा,खजुरी,पेरुकिया,दालि पुडी,कह्रीबडी आ कचरी के प्रबर्धनात्मक बिक्री स्टल राखलगेल अछि ।

मैथिली खानपानके प्रर्बधन आ प्रचार हेतु फरक संस्कृतिके महोत्सवमें स्टल राखलगेल मैथिली अनलाइनके संचालक नवीन कर्ण जानकारी देने छथि । मिथिला आ मैथिली स जुडल सम्पुर्ण पक्षके प्रर्बधन कएलापर मात्र मैथिलीके सम्पुर्ण विकास सम्भव होएत बातके ध्यानमें राखिक मैथिली पकवानके स्टल राखलगेल कर्ण बतौने छथि ।

किछ दशक एम्हर मैथिलीके विकास हेतु नाचगान आ सांस्कृतिक कार्यक्रम सबके महत्व देल जारहलोपर खानपान आ पहिरन पर ओतेक ध्यान नै देलजारहल संस्कृतिके जानकार सब बतबैत छथि । पकवानक स्टलमें विनीता कर्ण आ रानी कर्ण मैथिली संस्कृतिसंग जुडल विविध पकवानसब तैयार क सहभागिके न्युन शुल्कपर उपलब्ध करौने छलथि ।

तेकर साथे मैथिल संस्कृतिमें ठकुवा,पेरुकिया आ खजुरी लगायतक महत्वके बिषयमें सेहो सहभागिके जानकारी उपलब्ध करौने छलथि ।

प्रदेश एकके मन्त्री बुद्धि कुमार राजभण्डारी माघ ६ गते महोत्सवके उद्घाटन कएने छलथि । सांस्कृतिक अन्तरघुलन हेतु महोत्सवमें नेवारी खानपानके साथे राजवंशी,थारु सहित आन संस्कृतिके स्टलसब सेहो राखलगेल आयोजक संस्थाके अध्यक्ष हरिबहादुर श्रेष्ठ आ महोत्वस संयोजक भविष कुमार श्रेष्ठ जानकारी देने छथि ।

महोत्सवमें खानपानके स्टलके साथे पर्यटन हाट राखएके साथे विविध भाषासंस्कृतिके नृत्य आ गीत प्रस्तुत कएलगेल छल ।

प्रतिक्रिया